अमेरिकाक एकेडमी अफ मोशन पिक्चर आर्ट्स एन्ड साइन्सेजद्वारा प्रदत्त एकेडमी पुरस्कार, जकरा अस्कर पुरस्कार[१] सेहो कहल जाइत अछि, चलचित्र व्यवसायसँ जुड़ल सर्वश्रेष्ठ निर्देशक, कलाकार, लेखक व प्राविधिकसभके प्रदान कएल जाएवला प्रतिष्ठित सालाना पुरस्कार छी। एकर पहिल समारोह १६ मई १९२९ के आयोजित कएल गेल छल।
नामकरण
अस्कर नाम राखैक क कारण कि छी, ठीकसँ कहल नै जा सकैत अछि । बेट्टी डेविसक एक जीवनीमे एना कहल गेल अछि कि ओ ई नाम अपन प्रथम पति हार्मन अस्कर नेल्सन (Harmon Oscar Nelson) के नाम पर राखलक।