भूमध्य रेखा पृथ्वीक सतहमे उत्तरी ध्रुव एवं दक्षिणी ध्रुवसँ सामान दूरीमे स्थित एक काल्पनिक रेखा अछि। ई पृथ्वीके उत्तरी आ दक्षिणी गोलार्द्धमे विभाजित करेत अछि। दोसर शब्दसभमे पृथ्वीक केन्द्रसँ सर्वाधिक दूरस्थल भूमध्यरेखीय उभारमे स्थित बिन्दुसभके मिलावैत ग्लोबमे पश्चिमसँ पूर्वतर्फ खींच गेल कल्पनिक रेखाके भूमध्य वा विषुवत रेखा कहैत अछि। एहिमे वर्ष भर दिन-रात बराबर होएत अछि, ई कारण एकरा विषुवत रेखा सेहो कहैत अछि। अन्य ग्रहसभक विषुवत रेखाके सेहो सामान रूपसँ परिभाषित कएल गेल अछि। ई रेखाक उत्तरीतर्फ २३½°मे कर्क रेखा आ दक्षिणीतर्फ २३½°मे मकर रेखा अछि।[१]
विकिमिडिया कमन्समे आर बहुत रास भूमध्य रेखासँ सम्बन्धित मिडिया सामग्रीसभ अछि । |