रोटरड्याम | |||||
---|---|---|---|---|---|
शहर आ नगरपालिका | |||||
उपनाम(सभ): रोटाउन, रोफा | |||||
आदर्श वाक्य: सशक्तक सङ्घर्ष | |||||
निर्देशाङ्क: ५१°५५′N ४°२९′E / ५१.९२°N ४.४८°Eनिर्देशाङ्क: ५१°५५′N ४°२९′E / ५१.९२°N ४.४८°E | |||||
देश | नेदरल्यान्ड्स | ||||
प्रदेश | दक्षिण हल्यान्ड | ||||
जिला | १४ टा | ||||
सरकार | |||||
• अङ्ग | नगर परिषद् | ||||
• मेयर | अहमद अबुतलब (लेबर पार्टी) | ||||
क्षेत्रफल | |||||
• नगरपालिका | ३२४.१४ किमी२ (१२५.१५ वर्गमाइल) | ||||
• जमीन | २१७.५५ किमी२ (८४�०० वर्गमाइल) | ||||
• पानी | १०६.५९ किमी२ (४१.१५ वर्गमाइल) | ||||
• र्यान्डस्ट्याड | ३०४३ किमी२ (११७५ वर्गमाइल) | ||||
जनसङ्ख्या | |||||
• नगरपालिका | ६,६४,३११ | ||||
• घनत्व | २९९५/वर्ग किमी (७७६०/वर्ग माइल) | ||||
• सहरी | १२,७३,३८५ | ||||
• महानगर | २३,९०,१०१ [lower-alpha १] | ||||
• र्यान्डस्ट्याड | ८३,६६,०७८ | ||||
वासिन्दा | रोटरड्यामर | ||||
समय क्षेत्र | युटिसी+१ (सिइटी) | ||||
• ग्रीष्म (डिएसटी) | युटिसी+२ (सिइएसटी) | ||||
डाक कोड | ३०००-३०९९ | ||||
क्षेत्रीय कोड | ०१० | ||||
वेबसाइट | rotterdam.nl (Dutch मे) | ||||
पूर्णस्क्रीन दृश्यक लेल मानचित्र पर क्लिक करी |
रोटरड्याम (/ˈrɒtərdæm/ ROT-ər-dam, UK also /ˌrɒtərˈdæm/ ROT-ər-DAM) नेदरल्यान्ड्सक राष्ट्रिय राजधानी एम्स्टरड्यामक बाद दोसर सभसँ पैघ नगर छी। ई दक्षिण हल्यान्ड प्रदेशमे अछि जे राइन-म्युज-सेल्ट मुखद्वीपक उत्तरी सागरक मुहानक भाग छी, 'न्यु म्युज' अन्तर्देशीय नाविक च्यानलक माध्यमसँ पहिने म्युज नदीसँ आ एखन राइन नदीसँ जुड़वाक लेल खोदल गेल अछि।
सन् १२७० मे रोटे नदीमे एकटा बाँधक निर्माण कएलाक बाद रोटरड्याममे वस्तीकरण भेल छल। सन् १३४० मे विलियम चतुर्थ, काउन्ट अफ हल्यान्डद्वारा रोटरड्याम शहरक अधिकार प्रदान कएल गेल छल। रोटरड्याम-हेग महानगरीय क्षेत्र लगभग २७ लाख आबादीक सङ्गे युरोपीय सङ्घक दशम् सभसँ पैघ आ देशमे सभसँ बेसी आबादी भेल क्षेत्र छी।
एक प्रमुख रसद आ आर्थिक गतिविधिक केन्द्र रोटरड्याम युरोपक सभसँ पैघ बन्दरगाह छी। सन् २०२२ मे रोटरड्यामक जनसङ्ख्या ६,५५,४६८ छल आ एहि ठाम १८० सँ अधिक विभिन्न राष्ट्रियता भेल लोकसभक बैसार अछि।
रोटरड्याम अप्पन विश्वविद्यालय, नदीक किनारेमे रहल वस्ती, जीवन्त सांस्कृतिक जीवन, समुद्री विरासत आ आधुनिक वास्तुकलाक लेल जानल जाइत अछि। द्वितीय विश्वयुद्धक समयमे रोटरड्याम शहरक केन्द्रक लगभग पूर्ण विनाशक परिणामस्वरूप एक विविध वास्तुशिल्प परिदृश्य उभरि केर आएल, जहिमे रेम कुल्हास, पिट ब्लम आ बेन भ्यान बर्केल जका वास्तुकारसभद्वारा डिजाइन कएल गेल गगनचुम्बी इमारतसभ शामिल अछि।
राइन, म्युज आ सेल्ट अत्यधिक औद्योगीकृत रूहरसहित पश्चिमी युरोपक मध्यधरि जलमार्गक पहुँच प्रदान करैत अछि। रेल, सड़क आ जलमार्ग सहित व्यापक वितरण प्रणालीद्वारा रोटरड्यामकेँ 'युरोपक प्रवेशद्वार' आ 'विश्वक प्रवेशद्वार' उपनाम देल गेल छल।
De Metropoolregio Rotterdam Den Haag is het gebied dat nu de huidige stadregio's Rotterdam en Haaglanden omvat. Binnen dat gebied gaan de 24 gemeenten hun krachten bundelen in het samenwerkingsverband Metropoolregio Rotterdam Den Haag om de internationale concurrentiepositie van de regio te versterken. De Metropoolregio regio heeft 2,2 miljoen inwoners.