वेश्यावृत्ति

मेक्सिकोक टिजुआनामे ग्राहक इन्तजारमे एक वेश्या

आर्थिक लाभक लेल अन्य पुरुषसँ यौन सम्बन्ध राखनाए या कोनो भी प्रकारक यौन सेवा प्रदान केनाए वेश्यावृत्ति या देहव्यापार कहलाबैत अछि ।[१] एहि प्रकार वेश्यावृत्ति केनिहार महिलाके वेश्या या यौनकर्मी कहल जाइत अछि, तँ सेवा लेनिहारके विविध नामसँ जानल जाइत अछि । वेश्यावृत्ति यौन व्यापारक एकटा अंश छी । वेश्यावृत्ति सम्बन्धि कानुन सेहो राष्ट्र अनुसार अलग अलग होइत अछि । कतौ कतौ वेश्यावृत्तिके विश्वक सबसँ पुरान पेशाक रुपमे लेल पावल जाइत अछि ।[२]संस्कृत कोशमे ई वृत्ति धारण केनिहार महिलासभक लेल विभिन्न संज्ञा देल गेल अछि । वेश्या, रूपाजीवा, पण्यस्त्री, गणिका, वारवधू, लोकाङ्गना, नर्तकी आदिक गुण आ व्यवसायपरक अमिघा छी - 'वेशं (बाजार) आजोवो यस्या: सा वेश्या' (जकर आजीविकामे बाजार हेतु होए, 'गणयति इति गणिका' (रुपया गिनैवाली), 'रूपं आजीवो यस्या: सा रूपाजीवा' (सौन्दर्य मात्र जकर आजीविकाक कारण होए); पण्यस्त्री - 'पण्यै: क्रोता स्त्री' (जकरा रुपया दऽ आत्मतुष्टिक लेल क्रय करि लेल गेल होए)।

इतिहास

वेश्यावृत्ति लगभग सभ सभ्य देशसभमे आदिकालसँ विद्यमान रहल आयल अछि । एकरा सदैव सामाजिक यथार्थक रूपमे स्वीकार कएल गेल अछि आ विधि आ परम्पराद्वारा एकर नियन्त्रण होइत रहल अछि ।[३] सामन्तवादी समाजमे ई अभिजातवर्गक कलात्मक अभिरुचि आ पार्थिव गौरवप्रदर्शनक माध्यम छल । आधुनिक यान्त्रिक समाजमे ई लोकसभक विवशता, मानसिक विक्षेप, भोगैषणा आ निरन्तर बढैत आन्तरिक कुन्ठाक क्षणिक उपचारक साधन छी । वस्तुत: ई विघटनशील समाजक सहज अङ्गक रूपमे विद्यमान रह अछि । सामाजिक स्थितिमे आरोह अवरोह आबैत रहल अछि, मुदा एकर अस्तित्व अक्षुण्ण, अप्रभावित रहल अछि । पश्चिमी भागक प्राचीन देशसभमे वेश्यावृत्ति धार्मिक अनुष्ठानसभक साथ सम्बन्ध रहल अछि ।

वेश्यावृतिक कारण

आधुनिक युगमे नारीसभके वेश्यावृत्ति दिस प्रेरित केनिहार प्रमुख कारण निम्नलिखित अछि-

  वेश्यावृत्ति कानूनी आ विनियमित
  कानूनी वेश्यावृत्ति, मुदा वेश्यालयसभ अवैध अछि
  अवैध वेश्यावृत्ति
  कोनो डेटा नै

आर्थिक कारण

अनेक महिलासभ अपन आ आश्रितसभक भुखक ज्वाला शान्त करैक लेल विवश भऽ ई वृत्तिके अपनाबैत अछि । जीविकोपार्जनक अन्य साधनसभक अभाव तथा अन्य कार्यसभक अत्यन्त श्रमसाध्य आ अल्वैतनिक होमएक कारण वेश्यावृत्ति दिस महिला आकर्षित होइत अछि ।

सामाजिक कारण

सन्दर्भ सामग्रीसभ

  1. "Prostitution Law & Legal Definition"। US Legal। अन्तिम पहुँच 19 March 2013
  2. The prostitution of women and girls - Page 5; Ronald B. Flowers - 1998
  3. "Iran – Facts on Trafficking and Prostitution"। Uri.edu। अन्तिम पहुँच 23 May 2010

बाह्य जडीसभ