क्रिकेट विश्वकप १९८३ (आधिकारिक रुपमे प्रुडेन्सियल कप) क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिताक तेसर क्रिकेट विश्वकप छल । ई प्रतियोगिता ९ जुन सँ २३ जुन धरि इङ्ल्यान्डमे आयोजन भेल छल जकरा भारत जितने छल । ई टुर्नामेन्ट प्रुडेन्सियल एसुरेन्स कम्पनीद्वारा प्रायोजित छल । ई टुर्नामेन्टमे ८ टा टिम भाग लेने छल । ई क्रिकेट विश्वकप सुरु सँ नाटकीय रहल छल । भारत तथा जिम्बाब्वे जका टिम विश्वकप सुरु होमए सँ पहिने आन टिमक मुकाबलामे स्तरीय क्रिकेट नै खेलैक छल मुदा ओसभ वेस्ट इन्डिज तथा अस्ट्रेलिया जका कड़गड़ टिमसभके हराए सनसनी फैलोनए छल ।
ई प्रतियोगितामे एक म्याच ६० ओभरक खेलाएल गेल छल आ खेलाडी उज्जर पोसाकमे तथा लाल क्रिकेट बल सँ खेलैक नियम छल । म्याच दिनमे भेला कारण खेल शीघ्र सुरु कएल जाइत छल । ई प्रतियोगितामे सेहो म्यान अफ द सिरिजक व्यवस्था नै कएल गेल छल ।
स्वरूप
टुर्नामेन्टमे टिमसभके २ समूहमे विभाजन कएल गेल छल जाहिमे प्रत्येक टिम दोसर टिम सँ खेल खेलकि छल । दुई उत्कृष्ट टिम सेमीफाइनलक लेल प्रत्येक समूह सँ अगाडी जाकि नियम छल । सेमीफाइनलक विजेता फाइनल खेलक लेल सक्षम होवाक नियम छल ।
ई पहिल विश्वकप छल जे इङ्ल्यान्डक १४ टा अलग-अलग स्थानमे खेलाएल गेल छल । प्रतियोगितामे कूल २७ खेल भेल छल जाहिमे २ सेमीफाइनल तथा १ फाइनल रहल छल । [१]
सहभागी राष्ट्र
ई प्रतियोगिताक आयोजक इङ्ल्यान्ड छल । आइसिसी अपन पहिल आयोजन इङ्ल्यान्डके करैक निर्णय केनए छल कियाकी इङ्ल्यान्ड सँ ओ समयमे पर्याप्त संसाधन छल जे एकटा सफल आयोजन क सकैत छल ।
८ राष्ट्र एहि टुर्नामेन्टक लेल सहभागी भेल छल । जहिमे ७ टा टिम पूर्ण आइसिसी मान्यता प्राप्त छल । (श्रीलंका आइसिसीक सन्निकट पूर्ण सदस्य बनाएल गेल छल तहिना जिम्बाब्वे १९८२ क आइसिसी ट्रफी जिते से मान्यता प्राप्त केनए छल ।)
स्थान
स्थान
|
शहर
|
क्षमता
|
म्याचसभ
|
१९८३ क्रिकेट विश्वकप (इङ्गल्याण्ड)
|
लर्ड्स क्रिकेट ग्राउण्ड
|
लण्डन
|
३०,०००
|
३
|
ट्रेन्ट ब्रिज
|
नौटिङ्घम
|
१५,३५०
|
३
|
हेडिङ्ले स्टेडियम
|
लीड्स
|
१४,०००
|
३
|
द ओभल
|
लण्डन
|
२३,५००
|
३
|
एजबेस्टन क्रिकेट ग्राउण्ड
|
बर्मिङगम
|
२१,०००
|
३
|
काउन्टी क्रिकेट ग्राउण्ड,डर्बी
|
डर्बी
|
९,५००
|
१
|
काउन्टी क्रिकेट ग्राउण्ड,ब्रिस्टल
|
ब्रिस्टल
|
१६,०००
|
१
|
काउन्टी क्रिकेट ग्राउण्ड, टाउनटोन
|
टाउनटोन
|
६,५००
|
१
|
काउन्टी क्रिकेट ग्राउण्ड,चेल्म्सफोर्ड
|
चेल्म्सफोर्ड
|
६,५००
|
१
|
सेन्ट हेलेन'स रग्बी तथा क्रिकेट ग्राउण्ड
|
स्वान्सी, वेल्स
|
४,५००
|
१
|
ग्रेस रोड
|
लीसेस्टर
|
१२,०००
|
१
|
ओल्ड ट्रयाफोर्ड क्रिकेट ग्राउण्ड
|
म्यानचेस्टर
|
१९,०००
|
३
|
काउन्टी क्रिकेट ग्राउण्ड
|
साउथह्याम्प्टन
|
७,०००
|
१
|
न्यु रोड,वरकेस्टर
|
वरकेस्टर
|
४,५००
|
१
|
नेभिल ग्राउण्ड
|
रोयल टनब्रिज वेल्स
|
६,०००
|
१
|
समुह चरण
समुह A
पाकिस्तान ५० रनसँ विजयीसेन्ट हेलेन रग्बी तथा क्रिकेट ग्राउण्ड,वेल्स
|
इङ्ल्यान्ड ४७ रनसँ विजयीकाउन्टी क्रिकेट राउण्ड,टाउनटन
|
इङ्ल्यान्ड ८ विकेटसँ विजयीलर्ड्स क्रिकेट ग्राउण्ड,लण्डन
|
पाकिस्तान ११ रनसँ विजयीहेडिङ्ले स्टेडियम,लीड्स
|
इङ्ल्यान्ड ७ विकेटसँ विजयीओल्ड ट्रयाफोर्ड क्रिकेट ग्राउण्ड,म्यानचेस्टर
|
श्रीलंका ३ विकेटसँ विजयीकाउन्टी क्रिकेट ग्राउण्ड,डर्बी
|
पाकिस्तान ११ रनसँ विजयीट्रेन्टब्रिज,इङ्ल्यान्ड
|
समुह B
भारत ३४ रनसँ विजयीओल्ड ट्रयाफोर्ड क्रिकेट ग्राउण्ड,म्यानचेस्टर
|
|
v
|
भारत १५७/५ (३७.३ ओभर)
|
भारत ५ विकेटसँ विजयीग्रेसरोड,लिसेस्टर
|
अस्ट्रेलिया ३२ रनसँ विजयीकाउन्टी क्रिकेट ग्राउण्ड,साउथह्याम्प्टन
|
भारत ३१ रनसँ विजयीनेभिल ग्राउण्ड,रोयल टनब्रिज वेल्स
|
भारत ११८ रनसँ विजयीकाउन्टी क्रिकेट ग्राउण्ड,चेल्म्सफोर्ड
|
वेस्ट इन्डिज १० विकेटसँ विजयीएजबेस्टन क्रिकेट ग्राउण्ड,बर्मिङगम
|
नक्आउट चरण
सेमी फाइनल
१९८३ क्रिकेट विश्वकपक पहिल सेमीफाइनल खेल इङ्ल्यान्ड तथा भारत बीच खेलल गेल छल तहिना दोसर सेमीफाइनल खेल पाकिस्तान तथा वेस्ट इन्डिज बीच खेलल गेल छल । पहिल सेमीफाइनल खेलमे भारत इङ्ल्यान्डके ६ विकेटसँ [२]आ दोसर सेमीफाइनलमे वेस्ट इन्डिज पाकिस्तानके ८ विकेटसँ हराए फाइनलक यात्रा तय केनए छल ।[३]
|
v
|
भारत २१७/४ (५४.४ ओभर)
|
फाइनल
तथ्याङ्क
सन्दर्भ सामाग्री
बाह्य लिङ्क
एहो सभ देखी